Antarrashtriya Maithili Parishad
अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद् एक विधिवत पंजीकृत संगठन अछि।
पंजीकरण संख्या (Reg. No.): 262/2000
मैथिली, मैथिल आ मिथिलाक सर्वांगीण विकासक हेतु समर्पित समन्वयकारी संगठन
स्थापना: 20 जून 1993
अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद एक समर्पित मंच अछि जे मिथिला क्षेत्रक सांस्कृतिक, भाषिक आ सामाजिक उत्थानक लेल भारत आ नेपालमे सक्रिय रूप सं कार्यरत अछि। परिषद्क मुख्य उद्देश्य मिथिलाक पहचान, मैथिली भाषाक संवर्द्धन, आ मैथिल समाजक समेकित विकास अछि।
मुख्य उपलब्धि
भारत आ नेपालमे अलग-अलग मिथिला राज्य निर्माणक संगठित प्रयास
अबतक आयोजित 36 अन्तरराष्ट्रिय मैथिली सम्मेलन
10 चतुर्दिवसीय कार्यकर्ता प्रशिक्षण शिविर, जइमे सात मिथिलाक गाम-गाममे आयोजित
मैथिली भाषाक आठम अनुसूचीमे स्थान दिलाबै मे महत्त्वपूर्ण भूमिका
झारखंडमे दोसर राजभाषा रूपे मैथिलीकेँ मान्यता
रांची-जयनगर ट्रेन संचालनक पहल
रांचीमे विद्यापति स्मारक समिति के पुनर्जीवन
झारखंड मैथिली मंच केर स्थापना
तीन दर्जन सं अधिक अनुषंगी संगठन संग सेवारत
कार्यक्षेत्र:
भारत, नेपाल आ प्रवासी मैथिलक बीच सामूहिक चेतना जगा क’ मिथिला, मैथिली आ मैथिलक सर्वांगीण विकास करब।
मुख्यालय:
रांची, पंजीकृत कार्यालय सुभाष चौक, जयनगर 847226
Amazing Things for You
Always write benefits over features. Mention all the benefits or services with some real examples. Focus on how you can help and benefit your user. Use simple words so that you don’t confuse people. Say as much in as few words as possible.
Speak directly to users using you not I or we.






